dcsimg
Image of Euryale
Creatures » » Plants » » Dicotyledons » » Waterlilies »

Gorgon

Euryale ferox Salisb. ex K. D. Koenig & Sims

मखान ( Maithili )

provided by wikipedia emerging_languages

मखान (अङ्ग्रेजी: Fox nut, वैज्ञानिक नाम: Euryale ferox) पोषक तत्वसभ सँ भरपुर एक जलीय उत्पाद छी जे तालाब, पोखरि, दलदली क्षेत्रक शान्त पानिमे होएत अछि। मखानक बीयाकें तरि एकर उपयोग मिठाई, नमकीन, खीर आदि बनाबैक लेल कएल जाएत अछि। मखानमे ९.७% सहज सँ पचबैवला प्रोटीन, ७६% कार्बोहाइड्रेट, १२.८% नमी, ०.१% वसा, ०.५% खनिज लवण, ०.९% फस्फोरस आ प्रति १०० ग्राम १.४ मिलीग्राम लौह पदार्थ विद्यमान रहैत अछि। एहिमे औषधीय गुण सेहो होएत अछि।[१]

उत्पादन

स्थान आ संरक्षण

 src=
मखान अनुसन्धान केन्द्र भवन

इ मुख्य रुप सँ दरभंगामे भैटेत अछि। मखानक उत्पादन संरक्षणक लेल एतय मखाना अनुसन्धान केन्द्रक स्थापना सेहो कएल गेल अछि। जिआई ट्याग श्रेणीमे मखानकें सेहो रखवाक लेल अभियानसभ चलि रहल अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. Cronquist, Arthur (1981). An Integrated System of Classification of Flowering Plants. New York: Columbia University Press. प॰ 111. आइएसबिएन 0-231-03880-1.

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी

license
cc-by-sa-3.0
copyright
Wikipedia authors and editors